मधुबनी मे देबाल खसला सं दू गोट बच्चाक मौत

    0
    276

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक झंझारपुर के रूद्रपुर थाना अन्तर्गत बरसाम गाम मे अचानक स माटिक देबाल खसला स दू टा बच्चाक दर्दनाक मौत भय गेल। अहि घटना मे बच्चाक मां सेहो गम्भीर रूप स घायल भय गेल छथि, हुनका अंधराठाढ़ी अस्पताल मे भर्ती करोल गेल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, घायल महिला नसरीन खातून 3 वर्षीय बेटा करीम के दूध पिया रहल छली। अहि दौरान माटिक देबाल खसि पड़ल। देबालक चपेट मे मां-बेटा समेत नजदीक मे खेला रहल 5 वर्षीय बच्चा रहीम सेहो आबि गेल। घटनाक बाद गाम मे मातमी सन्नाटा पसरल अछि।