बिहारक 24गोट जिला मे भारी तूफानक चेतावनी, मिथिला क्षेत्र मे व्यापक क्षतिक आशंका

    0
    354

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारक 24 गोट जिलामे आगामी 24 घंटामे भयंकर तूफान ऐवाक चेतावनी जारी कैल गेल अछि। तूूफानक चेतावनी जारी करैत मौसम विभाग कहलक कि तूफान सं सब सं बेसी जे क्षेत्र प्रभावित रहत ओ अछि उत्तर बिहारक क्षेत्र अर्थात मिथलाक पूर्वी एवं उत्तरी क्षेत्र आवै वला तूफान सं प्रभावित होइ वला अछि।
    मौसम विभागक मानी त तेज हवाक संग-संग व्यापक स्तर पर माटि-गरदा संग आवै वला तूफान मे जान-मालक नुकशानक अंदेशा कें खारिज नहि कैल जा सकैत अछि। देश भरि मे चलि रहल प्रचंड गर्मी आ लू कें बाद वायुमंडलमे बनि रहल हवाक कम दवाबक कारणें अहि तूफान कें ऐवाक आशंका जाहिर कैल जा रहल अछि।
    मिथिला मिरर दिस सं सेहो संपूर्ण मिथिला सह बिहारवासी कें इ आग्रह जे कम सं कम समय रहैत अपना आप कें सुरक्षित कय ली आ सावधानी सं अहि 24 घंटा कें पार करी, कारण सवाधानी मे सुरक्षा होइत छैक।