भूमाफिया के खिलाफ सवर्ण मोर्चा’क धरना प्रदर्शन

    0
    463

    दरभंगा, मिथिला मिरर: अखिल भारतीय सवर्ण मोर्चा के प्रदेश महासचिव इंद्रभूषण झा पप्पू एवं राष्ट्रीय अध्यक्ष संजीव सिंह के नेतृव मे शनिदिन हायाघाट प्रखण्ड के शोभेपट्टी गामक दर्जनो लोक समाहरणालय के समक्ष धरना प्रदर्शन केलनि। ग्रमीणक कहब छल जे, शोभेपट्टी गाम मे किछु भू माफिया द्वारा गरीब सवर्णक जमीन कब्जा कय बेचल जा रहल अछि, आ जिला प्रशासन शिकायतक बावजूद सुतल अछि।

    लोकक कहब छल जे ग्रामीण अपन धर्म परिवर्तन करबाक लेल मजबूर भय गेल अछि। धरना पर बैसल सवर्ण मोर्चाक राष्टीय अध्यक्ष कहलनि जे, यदि जिला प्रसासन सवर्णक मदद नहि करत त ई आंदोलन और तेज़ कायल जायत।