मणिपुरक घटना स्त्री नहि अपितु मानव मात्र केँ कलंकित कऽ रहल

0
170

मिथिला मिररः देशक पूर्वोत्तर राज्य मणिपुर सँ जे वीडियो सोंझा आयल अछि ओ अपना आप मे एहन कुकृत्य केँ सोंझा लाबि रहल अछि जाहि सँ नहि सिर्फ स्त्री अपितु संपूर्ण मानव जाति कलंकित भऽ रहल अछि। दरअसल जे वीडियो आब सोंझा आयल ओकरा विषय मे कहल जा रहल अछि जे ई वीडियो 4 मइ 2023 केँ छी जाहि मे दू गोट स्त्री केँ निर्वस्त्र करबाक घटना सँ पूरा देश-दुनिया मे सनसनी पसरि गेल अछि। एहि वीडियो केँ इंडिजिनस ट्रायबल लीडर्स फोसरक प्रदर्शन सँ ठीक एक दिन पहिने एकरा सार्वजनिक कयल गेल।
आखिर की छैक ई पूरा मामला ?
मणिपुर मे मैतेइ समुदाय केँ अनुसूचित जातिक दर्जा देबाक मांग केँ लऽ 3 मइ कऽ मैतेइ समुदाय आ कुकी जनजातिक बीच हिंसक झड़प शुरू भऽ गेल छल। पुलिस सूत्रक मानी तँ दुनू पीड़िता छोट समूहक हिस्सा छलीह जे 4 मइ कऽ पहाड़ी आ जनजाति दुनू समूहक हमला सँ बचबाक लेल एकटा जंगली इलाका मे भागि रहल छलीह। एकटा कथित अफवाह बला वीडियो वायरल भेल छल जकरा बाद ई सामुदायिक झड़प शुरू भेल। वीडियो वायरल भेलाक बाद हिंसक समूह द्वारा एकटा गाम पर छापा मारल जाइत अछि आ ओकरा बाद ओहिठाम सँ दू गोट पुरूष आ तीन गोट महिला शामिल छलथि। एहि मे 56 वर्षीय पुरूष, 19 वर्षीय लड़का आ 21 वर्षीय लड़की एके परिवारक छलथि जखन की एकटा अन्य महिला 42 साल आ दोसर 52 सालक छलथि। हिनका लोकनि केँ भगवाक क्रम मे नोंगपोक सेकमाइ थानाक एकटा पुलिस टीम भेटलनि। हालांकि दाबा ई कयल जा रहल अछि जे पुलिस थाना सँ दू किलोमीटर दूर करीब 800 सँ 1000 केर संख्या मे आयल भीड़ द्वारा पुलिस टीम पर हमला कऽ उक्त व्यक्ति सभकेँ छीन लेल जाइत अछि। भीड़ उक्त व्यक्ति सभक जान लेबाक लेल उतारू छल एहि क्रम मे अपन 21 वर्षीय बहिनकेँ भीड़ सँ बचेबाक काल मे 19 वर्षीय लड़काक घटनास्थल पर निधन भऽ जाइत अछि।
महिलाक अन्य संबंधी द्वारा कराओल गेल एफआइआर
पीड़ित महिलाक संबंधित द्वारा दर्ज कराओल गेल प्राथमिकी मे ई कहल गेल अछि जे एकटा महिलाक संग सामूहिक दुष्कर्म कयल गेल छल। 18 मइ कऽ जीरो एफआइआर लिखल गेल आ 21 मइ कऽ मामला केँ नोंगपोक सेकमाइ थाना केँ स्थानांतरित कऽ देल गेल। मणिपुर मे 3 मइ कऽ इंटरनेट सेवा पूर्ण रूपेँ बंद कऽ देल गेल छल। जखन ई वीडियो देश-दुनियाक सोंझा आयल तँ पूरा देश मे खलबली मचि गेल अछि। संसद सँ सड़क धरि एहि घटना केँ लऽ जाहि तरहक जनाक्रोश देखल जा रहल अछि ओ उचित कहल जा रहल अछि कारण एहि 21म सदीक ई सभसँ विभत्स तस्वीर मे सँ एकटा साबित भऽ सकैत अछि।
पुलिसिया कार्रवाइ पर उठि रहल सवाल
वीडियो तँ आब देशक सोंझा आयल अछि मुदा जखन ई कहल जा रहल छैक जे पुुलिस संग उक्त हिंसक भीड़केँ झड़प भेलैक आ ओकरा बाद एहन तरहक घटना केँ अंजाम देल गेल आ प्राथमिकी मे एहि समस्त बातक उल्लेख कयल गेल तखन फेर 77 दिन धरि कियैक कोनो गिरफ्तारी नहि होइत अछि? वीडियो वायरल भेलाक बाद पुलिस आनन-फानन मे फेसयल रिकग्नीशन टेक्नालाॅजीक माध्यम सँ वायरल वीडियो मे सँ आरोपीक पहचानक करबाक कोशिश कऽ रहल अछि जखन कि दाबा इहो कयल जा रहल छैक जे घटनाक मुख्य आरोपी केँ गिरफ्तार कऽ लेल गेल अछि जकर फोटो इंटरनेट पर वायरल भऽ रहल अछि। हालांकि सवाल ई उठि रहल छैक जे जखन पुलिसक संज्ञान मे ई समस्त बात छल तखन फेर कार्रवाइ कियैक नहि पुलिसक द्वारा कयल गेल? एहि घटनाक बाद राज्यक मुख्यमंत्री इस्तीफाक मांग आम लोक सहित राजनीतिक दल सभ सेहो कऽ रहल अछि जखन कि मणिपुर मे भेल जातीय हिंसा पर केन्द्रीय नेतृत्वक चुप्पी सेहो अपना आपमे बहुत किछु कहबाक लेल काफी अछि।
मणिपुरक घटना पर प्रधानमंत्रीक आक्रोश
संसदक मानसून सत्रक पहिल दिन मीडिया सँ बात करैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहलनि जे मणिपुरक घटना देखि मोन व्यक्ति आ आक्रोशित अछि, जे एहन तरहक कुकृत्य केँ अंजाम देलक ओकरा कोनो रूपेँ छोड़ल नहि जा सकैत अछि। राज्यक मुख्यमंत्री एन बीरेन सिंह कहि रहल छथि जे एहि घटना मे शामिल समस्त अरोपी केँ मृत्युक सजा दियेबाक फैरोकारी सरकार द्वारा कयल जायत।
हालांकि सरकार आ सामाजिक संगठन सभक जे विचार एहि घटना पर सोंझा आबैत हो मुदा जे कलंक सरकार आ समाज पर लागल अछि ओकर भरपाइ करब संभव नहि।