दर्द बटबाक लेल बाढ़ि पीड़ितक संग भोजन केलनि पटनाक डीएम संजय अग्रवाल

    0
    247

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक 12 टा जिलाक संग राजधानी पटना सेहो बाढ़िक कहर झेलि रहल अछि।पिछला चारि दिन सं पटनाक बहुतो हिस्सा मे आयल बाढ़िक संग राहतक काज सेहो तेजी सं चलाओल जा रहल अछि। अहि क्रम मे मंगदिन पटना मे पीड़ितक लेल चलाओल जा रहल राहत कैंप के जायजा लेबाक लेल पहुँचलाह पटनाक डीएम संजय अग्रवाल स्वं पंगत मे बैसि कय भोजन केलनि आ बाढ़ि पीड़ितक दर्द सेहो बंटलाह।

    पटनाक डीएम राहत कार्यक जायजा लेबाक क्रम मे दीघा रोड स्थित बिहार विद्यापीठ परिसर मे चलि रहल राहत कैंप मे पहुँचलाह। कैंप मे पहुँचलाक बाद डीएम बाइढ़ पीड़ितक लेल बनि रहल भोजनक जायजा लेलाह आ तकरा बाद सभक संगहि पंगत मे बसि कय भोजन करय लगलाह। अहि मौका पर डीएम कहलनि जे, सरकारी मदद के संग-संग कैंप मे किछु समय बिता कय सेहो पीड़ितक दर्द कम कायल जा सकैत अछि।

    डीएम संजय कुमार कहलनि जे, मुख्यमंत्रीक आदेश के बाद सब राहत कैंप मे भोजन स्टीलक थारी मे परसल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे, सब राहत कैंप मे अस्थायी आंगनबाड़ी केन्द्र आ स्कूल चलाओल जायत।