खेत मे भेटल अज्ञात महिलाक लहास

    0
    274

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनीक बाबूबरही प्रखंडक मझाऊ गामक चौर मे हनुमाना नदी सं मंगलदिन करीब 24-25 वर्षिय अज्ञात महिलाक लहास बरामद कायल गेल। अहि महिना मे कोनो अज्ञात महिलाक लहास भेटबाक ई दोसर मामला बताओल जा रहल अछि। सूत्रक अनुसार 2 अगस्त क सेहो सनपतही गाम मे एकटा अज्ञात महिलाक लहास भेटल छल।

    मझाऊ के चौर मे जतय ई लहास भेटल अछि, ओतय आसपास मे बेला आ सोनमती पंचायतक बहुतो गामक किसानक खेती भय रहल छल। सब सं पहिने घास काटय बाली महिला लहास देखलक जकरा बाद बात चारु दिस फ़ैल गेल। लहास पर पाओल गेल कपडा मे हरियर रंगक साड़ी, बैगनी रंगक कुर्ती, गला मे मोतिक माला पाओल गेल अछि, जाहि स बुझना जाइत अछि जे, लहास कोनो मुस्लिम समुदाय के महिलाक अछि।

    सूचना भेटलाक बाद पुलिस घटना स्थल पर पहुँचि कय लहास के कब्ज़ा मे कय लेलक। अहि विषय पर थानाध्यक्ष इंद्रदेव दास कहलनि जे, महिलाक हत्या कय लहास के नुकेबाक नियत स पानि भरल खेत मे गाड़ि देल गेल छल। घटना दू-तीन दिन पहिनहि के अछि।