मधुबनी मे पुलिस लाइन भवनक निर्माण शीघ्र

    0
    259
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी पुलिस केंद्रक दिन आब नीक होबय वला अछि। जल्दिये नव रंग-रूप मे जिला पुलिस लाइनक निर्माण कायल जायत। अहि के लेल प्रशासन जमीनक तलाश कय लेलक अछि। ई जमीन वर्तमान मे जतय पुलिस लाइन अछि ओतहि अछि। ओहि जगह पर नव सिरा सं भवनक निर्माण के प्रस्ताव जिला प्रशासन पुलिस महानिरीक्षक आधुनिकीकरण के पठेलक अछि।
    पुलिस केंद्र मे जिलाक ओहेन पुलिस अधिकारी व पुलिसक जवान रहैत अछि, जकरा रिजर्व बल मे राखल जाइत अछि। वर्तमान मे एहेन लगभग 600 पुलिस कर्मी पुलिस केंद्र मे मौजूद अछि। परंतु अहि पुलिसकर्मी के पुलिस केंद्र मे रहबा मे परेशानी होईत अछि। भवन पूर्ण रुपे जर्जर भय चुकल अछि।
    बरसात मे छतक पानी कमरा मे पहुंच जाईत अछि। 2014 मे आयल भूकंप स अंदर सेहो बहुतो जगह दरार आबि गेल अछि। देबाल पर गाछ सब जनमि गेल अछि, प्लास्टर झड़ी रहल अछि। एहेन मे नव निर्माणक स्वीकृति पुलिस कार्मिक लेल खुशखबरी अछि।