तेंदुलकर के सब सं पैघ भक्त सुधीर गौतम बनताह बिहारक ब्रांड एंबेसडर

    0
    303

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के सुधीरक क्रिकेटक भगवान सचिन तेंदुलकर के प्रति दीवानगी के एक समय लोक पागलपन कहैत छल। पागल सं भक्त बनि चुकल सुधीर कुमार गौतम के आब लोक सम्मानक दृष्टि सं देखैत अछि।

    हालहि मे सचिन के कहला पर ओ हैदराबाद मे प्रीमियर बैडमिंटन लीग मे बेंगलुरु ब्लास्टर्स के खिलाडीक हौसला अफजाई करैत देखल गेल छल। शरीर पर किछु दिनक लेल बेंगलुरु ब्लास्टर्स टीम इंडियाक जगह लय लेने छल। मुदा, पीठ पर तेंदुलकर व सिर पर भारतक नक्शा कायम छल।

    सुधीरक अहि दीवानगी के देखैत मतदाता के वोटिंगक लेल प्रेरित करबाक लेल मुजफ्फरपुर जिला प्रशासन सुधीर गौतम के 2015 मे ब्रांड एंबेसेडर बनेने छल। आब सुधीर के बिहारक ब्रांड एंबेसेडर बनेबाक प्रस्ताव निर्वाचन आयोग के पठाओल गेल अछि।