मुजफ्फरपुरक घटना : CBI केर रडार पर बिहार सरकारक कतेको मंत्री

    0
    381

    पटना, मिथिला मिरर : मुजफ्फरपुर बालिका गृह मामलामे एकटा नव मोड़ आबि गेल अछि। सीबीआई जाँचक डरसँ सबूत मिटाओल जा रहल अछि। सूत्र केर मुताबिक सीबीआई जाँचक क्रममे पाओलक जे बिहार सरकार द्वारा ब्रजेश ठाकुर आ हुनक एनजीओमे विभिन्न तरहक लापरवाही बर्तल गेल अछि। जानकारीकेँ मुताबिक सीबीआईक रडार पर बिहार सरकारक कल्याण विभाग आ स्वास्थ्य विभाग सेहो आबि गेल अछि । बहुत जल्दीए सीबीआई मामलासँ जुड़ल लोक सभसँ  पूछताछ करत आ सभ फाइलकेँ सेहो खंगालत। एकटा रिपोर्ट केर  मुताबिक स्वास्थ्य विभागक लापरवाही सेहो उजागर भेल अछि । बताओल जा रहल अछि जे बालिका गृहमे नियमित रूपसँ बच्चिया सभक मेडिकल टेस्ट कराओल जायत छल मुदा विभाग एहि बातक पुष्टि नै क’ रहल अछि जे कुन डाक्टर ओतय जाय छलाह। ब्रजेश ठाकुर अपन रसूखक दम पर प्राइवेट डाक्टरसँ जाँच करबैत छल आ रिपोर्ट सम्बंधित विभागकेँ पठा दैत छल। बतादी जे बिहार बाल अधिकार संरक्षण आयोगक अध्यक्ष डॉ हरपाल कौर नवंबर 2017मे स्वयं मुजफ्फरपुर बालिका गृहक निरीक्षण केने छलीह आ 27 नवंबर 2017क  अपन रिपोर्ट समाज कल्याण विभागके देने छलीह।  रिपोर्टक मुताबिक जेहि भवनमे बालिका गृह संचालित भ रहल छल ओ तय मानकक अनुरूप नहि छल, पूरा भवन अन्हार सन लगैत छल । डॉ कौर अपन रिपोर्ट आयोग के सेहो देने छलीह आ निर्देशित कएने रहथि  जे एहि बालिका गृहमे बहुत  खामी अछि एकर तत्काल सुधार कएल  जाय मुदा हुनक रिपोर्टके दबा देल गेलनि। आखिर किनका दबाबक कारण इ फाइल दबाओल गेल इ जांचक विषय अछि। मुजफ्फरपुरक जिलाधिकारी मोहम्मद सोहेल द्वारा बालिका गृह कांडक  मुख्य आरोपी ब्रजेश ठाकुर पर कार्रवाई करैत हुनकर आर्म्स लाइसेंस रद्द  क’ देल गेल। नगर थानासँ जारी एकटा पिस्टल आ राइफलक लाइसेंस रद्द केलाक बाद हथियार जमा करबाक लेल जिलाधिकारी मोहम्मद सोहेल ब्रजेश ठाकुरके दु दिनक समय देलक अछि।