मैलाममे धूमधामसँ संपन्न भेल बाबा नृसिंहक स्थापना दिवस

    0
    356

    दिल्ली,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मधुबनी जिलाक अंधराठाढ़ी प्रखंडक मैलाम गाममे बाबा नृसिंहक स्थापना वर्ष हर्षोल्लासक संग मनाओल गेल। मंगलदिन संपूर्ण ग्रामवासी बाबाक स्थापना दिवसकेँ अवसर पर पूजा अर्चना केलाह आ ओहिकेँ बाद ब्राह्मण सह सर्वजन भोजक आयोजन कऽ आ प्रसाद लऽ अपन-अपन घर जाइत भेलाह। राज पुरोहित पंडित स्वं लीलाधर झा केर पौत्र एवं पंडित स्वं शम्भूधर झा केर पुत्र, पंडित श्रवन कुमार झा केर मानी तऽ बाबा स्थापना चित्रधर उपाध्याय द्वारा सोलहम सदी अर्थात 15 सौ किछु बरखमे भेल छलनि।
    बाबा नृसिंहकेँ मैलामक जीवैत पुरूख मानल जाइत अछि आ गाममे कोनो काज बिना बाबाक आदेशसँ नहि होइत छैन्ह। बाबाक महिमा अतेक अपरमपार छैन्ह जे हुनका स्थानसँ कियो वापस नहि जाइत अछि। सब तरहेँ धन्य-धान्यसँ परिपूरित मैलाम गाममे अवस्थित बाबाक निवास एखनो चारक खोपरीमे छैन्ह। ग्रामवासीक कतेको अनुरोध, जाहिमे पक्का मकानकेँ प्रस्ताव बाबा अस्वीकार कऽ चुकल छथि। बाबाक स्थापना केनिहार चित्रधर उपाध्याय स्वयं भगवतीक परम साधक आ मदन उपाध्यायक वंशज छलाह।
    भगवतीसँ वरदान प्राप्त चित्रधर उपाध्यायक स्नान करवाक धोती आ स्नान करैकालक घाट स्वयं भगवती नित्य अनैत छलथिन। एहने साधक द्वारा स्थापित बाबा नृसिंहक नामसँ आस-पासक गामक लोक झूठ शपथ तक नहि खाइत छथि। मंगल दिन संपन्न भेल पूजामे बाबाक भव्य पूजा पंडित श्रवन कुमार झा आ पुजेगरी राम चंद्र झा उर्फ भैरव झा द्वारा कैल गेलनि। अहि अवसर पर संपूर्ण ग्रामवासीमे हर्षक माहौल छल। पूजाक क्रममे बाबाक दरबारमे संपूर्ण ग्रामवासीक जुटानी छल आ पूजा पूर्ण श्रद्धा आ निष्ठासँ संपन्न भेल।