1997मे लालू पर जेल सं सरकार चलेबाक आरोप लगेलनि पप्पू यादव

    0
    270

    पटना, मिथिला मिरर: जन अधिकार पार्टीक संरक्षक आ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि जे, नक्‍सली व आतंकी सं अधिक खतरनाक भष्‍टाचारी अछि। जेलमे बंद शहाबुद्दीन सं लालू प्रसादक बातचीतकें लए ओ सवाल केलनि जे, जेलमे बंदकें नेता अपराधी सं बात करत? चारा घोटालाक सिलसिलामे 1997मे बेउर जेलमे बंद लालू प्रसाद त जेल सं सरकार चला रहल छलाह।

    पप्‍पू यादव कहलनि जे, बिहार विधानसभामे 156 करोड़पति विधायक अछि, जहन कि 130 विधायकके खिलाफ जघन्य अपराधक मामला दर्ज अछि। अहिमे जदयू, भाजपा, राजद, कांग्रेस समेत अन्य दलक विधायक शामिल अछि।

    लालूके खिलाफ सुप्रीम कोर्टक फैसला पर ओ कहलनि जे, राजद प्रमुख लालू प्रसादक जेलमे बंद पूर्व सांसद शहाबुद्दीन सं बात करब उचित नहि, मुदा सवाल ई अछि जे, के नेता जेलमे बंद अपराधी सं बात नहीं करत? ओ एडीआर (एसोसिएशन फॉर डेमोक्रेटिक रिफॉर्म) कें कॉपी जारी करैत कहलनि जे, भाजपाके 40, जदयूके 32, राजदके 28 आ कांग्रेसके 13 टा विधायक करोड़पति अछि।