स्कूल स विधवा भनसिया के हटेबाक फरमान जारी

    0
    430
    गोपालगंज, मिथिला मिरर: गोपालगंज मे एक बेर फिर समाज के शर्मसार करय बला घटना प्रकाश मे आयल अछि। मांझा प्रखंड के बहोरा हाता उत्क्रमित मध्य विद्यालय मे काज करय बाली विधवा भनसिया के तत्काल हटेबाक फरमान जारी कय देल गेल। एतबे नहि, विधवा भनसिया के जा धरि हटाओल नहि जायत ता धरि स्कूल मे बच्चा के जाए पर रोक लगा देल गेल। जाहि स शिक्षक सहित भनसिया धरि सब भयभीत अछि।
    सूत्रक अनुसार अहि फरमानक बाद दू दिन स स्कूल मे ताला लटकल अछि। विधवा भनसिया पर स्कूल मे प्रतिदिन खाना चोरी करबाक आरोप लगाओल गेल अछि। सूत्रक अनुसार चोरीक आरोप लगा कय वार्ड सदस्य भनसिया के बाहर करेबा पर अडिग छथि। शिक्षा विभागक अधिकारी के स्कूलक हेडमास्टर अशोक कुमार लिखित जानकारी दय घटना स अवगत करौलनि।
    विभागक अधिकारी फिलहाल चुप्पी साधने छथि। स्कूल मे चार-पांच वर्ष स विधवा भनसिया विमला कुंवर आ नीला कुंवर समेत चार टा भनसिया काज करैत छथि। कहल जा रहल अछि जे, विगत पंचायती चुनाव मे चुनाव जीत कय वार्ड सदस्य बनल हंसनाथ प्रसाद अप्पन नेतृत्व मे एमडीएम मे अनियमितता के हवाला दय विधवा के हटेबाक मुहिम चलेलनि। ग्रामीणक अहि फरमानक बाद स्कूल मे पठन-पाठन बिलकुल बंद अछि।