लालू यादवक मददि स बॉक्सिंग चैम्पियन प्रियंका के इटली जेबाक सपना साकार

    0
    279

    पटना, मिथिला मिरर: राजद के राष्ट्रिय अध्यक्ष लालू यादवक मदद स किक बॉक्सिंग चैम्पियन प्रियंका के सपना मे पैंख लाईग गेल। आर्थिक तंगी स बेहाल महिला किक बॉक्सिंग के चैम्पियन खिलाड़ी प्रियंका के चयन इटली मे होबय बला अंतरराष्ट्रीय प्रतियोगिताक लेल भेल छल, मुदा अप्पन आर्थिक तंगीक कारने प्रियंका प्रतियोगिता मे हिस्सा लेबा स असमर्थ छली।

    सूत्रक अनुसार प्रियंका मदद के लेल लालू यादवक दरवाजा खटखटउलनि, जतय हुनकर सपना साकार भेलनि। लालू यादव प्रियंका के अप्पन पार्टी फंड स 1 लाख रुपैयाक चेक दय मददि केलनि। संगहि वादा केलनि जे, प्रतियोगिता जितलाक बाद पार्टीक तरफ स 5 लाख रुपैयाक पुरस्कार देल जायत। लालू यादव प्रियंका के अहि प्रतियोगिताक लेल शुभकामना सेहो देलनि।