परीक्षा परिणाम सुधारबाक लेल होयत उच्च विद्यालयक औचक निरिक्षण

    0
    573
    पटना, मिथिला मिरर: मैट्रिक परीक्षा मे खराब रिजल्ट देबय बला उच्च विद्यालय के निरीक्षण कायल जायत। आ देखल जायत कि विद्यालयक शिक्षण व्यवस्था सुचारू ढंग स चलि रहल अछि आ की नहि। निरिक्षक दल विद्यालय मे छात्र-छात्राक उपस्थिति, पढ़ाई, शिक्षक के व्यवहार इत्यादि पर ध्यान देताह। प्रखंड स्तर पर गठित होय बला प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी तथा प्रखंड स्तरक ट्रेनिंग कॉलेजक व्याख्यता तथा अवर शिक्षा सेवा संघक पदाधिकारी उच्च विद्यालयक निरीक्षण करताह।
    सूत्रक अनुसार ई पदाधिकारी प्रखंड स्थित कोनो विद्यालयक औचक निरीक्षण करताह आ ओतय विद्यालयक गतिविधि पर पूरा नजरि रखताह। निरिक्षणक मुख्य उद्देश्य ओतय के शिक्षा परिणाम के सुधारब बताओल जा रहल अछि।
    शिक्षा विभागक पदाधिकारी के मुताबिक जाहि विद्यालयक परिणाम एक बेर ख़राब आबि जाईत अछि ओकर परिणाम लगातार ख़राब होईत जाईत अछि। ताहि कारने विभाग सब विद्यालयक निरीक्षण के बाद अप्पन रिपोर्ट प्रखंड मे देत, जतय स ओहि रिपोर्ट के जिला भेजल जायत आ ओतय स फेर राज्य शिक्षा मुख्यालय के ओ रिपोर्ट सौपल जायत।