दरभंगा मे कारोबारी पर अंधाधुध फायरिंग

    0
    255

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के व्यस्त इलाका मे गिनल जाय बला कादिराबाद मे दरभंगा पब्लिक स्कूल के निकट दुर्गा फ्लोर मिलक मालिक पर सोमदिन किछु बदमाश अंधाधुंध फायरिंग कय देलक। बताओल जा रहल अछि  जे, विनोद स्वीका के शरीर मे एकटा गोली लागल छन्हि। फिलहाल विनोद स्वीका के इलाज अस्पताल मे चलि रहल छन्हि जतय हुनकर हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार मोटर साईकिल सवार दू टा बदमाश विनोद पर ताहि समय हमला केलक जहन ओ मिल स अप्पन घर जा रहल छलाह। बदमाश सात राउंड फायरिंग केलक आ रुपैया स भरल थैला लय क फरार भय गेल। फिलहाल पुलिस मामला दर्ज कय बदमाशक तलाश मे जुईट गेल अछि।