हावीभौआर घटनाक विरोधमे फेर सड़क पर उतरत भाजपा, प्रदेश अध्यक्ष प्रेम कुमार हेताह शामिल

    0
    266

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: हावीभौआरक घटनाकेँ लए भाजपा एकबेर फेर सड़क पर उतारबाक मोन बना लेलक अछि। शुक्रदिन बेनीपुरके महिनाममे भाजपाक तीनु मंडलक प्रमुख कार्यकर्ताक एकटा बैसक बजाओल गेल। मंडल अध्यक्ष शंकर भागवान पूर्वेक अध्यक्षतामे आयोजित अहि बैसकमे अगामी 4 मई कए बेनीपुर अनुमंडल मुख्यालय पर हावीभौआर शोभायात्रामे गिरफ्तार निर्दोष लोकक रिहाई, शोभायात्रा पुन: निकालबाक, घटनाक उच्चस्तरीय जांच सहित विभिन्न मांगकें लए प्रदर्शन करबा पर विचार-विमर्श कएल गेल।

    सभा सं पहिने पार्टीक प्रदेश उपाध्यक्ष तथा पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुर, जिला उपाध्यक्ष अशोक नायक व प्रदीप ठाकुर, पूर्व प्रखंड प्रमुख वीणा झा, रामपदारथ ठाकुर तथा जिलामंत्री संजीव साह, शिवजी यादव तथा प्रवक्ता अभय झाकें कार्यकता पाग-माला पहिरा कए स्वागत केलनि। बैसकके दौरान प्रस्तावित प्रदर्शन कार्यक्रम हेतु एकटा 15 सदस्यीय समिति गठित कएल गेल। प्रदेश उपाध्यक्ष गोपालजी ठाकुर कहलनि जे, बेनीपुरक धरती पर ई ऐतिहासिक प्रदर्शन कार्यक्रम होएत जाहिमे प्रतिपक्ष नेता प्रेम कुमार एवं पार्टी सांसद अश्वनी चौबे सहित दर्जनो नेता भाग लेताह।

    ओ कहलनि जे, जा धरि मांग पूरा नहि होएत पार्टीक आन्दोलन जारी रहत। जिला उपाध्यक्ष अशोक नायक कार्यकता सं कार्यक्रमकें सफलताक लेल प्रयत्नशील रहबाक अपील केलनि। बैसकमे मुरारी मोहन झा, रितेश चौधरी, सोनू ठाकुर, प्रवीण झा, ललित झा, कैलाश झा, नवीन झा, राजू साह, विन्दे सहनी, अमरनाथ शर्मा, लक्ष्मण राय एवं पवन कुमार महतो आदि उपस्थित छलाह।