पेंशन नहि भेटबाक विरोधमे मुखिया आ आक्रोशित लाभुक देलक उग्र आन्दोलनक चेतावनी

    0
    294

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: सदर प्रखंडकें बालम गढि़या पंचायत भवन परिसरमे बुधदिन पंचायतक मुखिया अनिल अनलकें अध्यक्षतामे कार्यकारणी सदस्यक बैसक भेल। बैसकके दौरान सब वार्डमे चलि रहल विकास योजनाक समीक्षा कएल गेल। बैसकके दौरान सब वार्ड सं वृद्धा पेंशनके लेल पहुंचल दर्जनो लाभुक आक्रोशित होईत कहलनि जे, हमरा सबके लगभग डेढ़ साल सं पेंशन नहि भेटि रहल अछि। बहुतो बेर कार्यालयकें चक्कर लगा-लगा कए थाकि चुकल छी।

    आक्रोशित लाभुककें शांत करैत स्थानीय मुखिया अनिल कहलनि जे, पेंशनक लेल लगातार हम प्रयासरत छी। विभागीय अनदेखीके कारण ऐहेन भए रहल अछि। 15 दिनक भीतर यदि पेंशनक राशि संबंधित लाभुकके खातामे नहि पठाओल जाएत त अहिकेँ विरूद्ध सब पेंशन लाभुक प्रखंड मुख्यालयमे धरना प्रदर्शन कए उग्र आंदोलनक लेल बाध्य भए जाएत।

    बैठकके दौरान वार्ड सदस्य मनरेगा, इंदिरा आवासक प्रथम एवं द्वितीय किश्तक राशि एवं अन्य विकास योजनाक चर्चा केलनि। बैसकमे पंचायत सचिव विन्देश्वरी यादव, पंचायत रोजगार सचिव अरविन्द कुमार, आवास सहायक ब्रजेश कुमार, विकास मिश्र अनंत साह, किसान सलाहकार बिजेन्द्र मंडल, उप मुखिया देवा देवी, प्रेम सागर खुशखुश, वार्ड सदस्य सहदेव यादव, रघुनंदन यादव, पंकज कुमार, देवेश कुमार, कमलेश कुमार, विजय सादा, विजेन्द्र राम, नत्थन साह सहित सब सदस्य मौजूद छल।