कमजोर बच्चाकें अलग सं पढ़ेबाक निर्देश

    0
    269

    सुपौल, मिथिला मिरर: प्रखंड कार्यालय परिसर स्थित लोक शिक्षा समिति कार्यालयमे बृहस्पति दिन टोला सेवक तथा शिक्षा स्वयंसेवकक संयुक्त बैसक कएल गेल। बैसककें अध्यक्षता प्रखंड समन्वयक सियाराम यादव केलनि। बैसकमे प्रखंड समन्वयक कहलनि जे, सरकारक स्तर सं विभिन्न सरकारी विद्यालयमे कमजोर बच्चाकें आगू बढ़ेबाक लेल टोला सेवकक बहाली कएल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, टोला सेवक अपन-अपन पोषक क्षेत्रके विद्यालयमे 2 सं 4 बजे अपराहन धरि कमजोर बच्चाकेँ कोचिंगमे नियमित रूप सं पढ़ाबथि ताकि एहेन बच्चा सेहो अन्य बच्चा जेना कक्षाक अनुकूल योग्य बनि सकए।

    ओ कहलनि जे, जे टोला सेवक अहि काजमे ढि़लाई करताह हुनकर सूची तैयार कए साक्षरता विभागके डीपीओकें पठा देल जाएत ताकि हुनका पर कार्रवाई भए सकए। प्रखंड समन्वयक कहलनि जे, 15 सं 35 आयु वर्गक महिलाकें 12:00 सं 2:00 बजे दिन तक केंद्र पर पढ़ेबाक काज चलि रहल अछि। ई काज लगातार जारी रहत। औचक निरीक्षणकें दौरान बंद भेटल केंद्रक शिक्षा स्वयं सेवकक खिलाफ त्वरित कार्रवाई सेहो कएल जाएत।