खजौलीमे पेट्रोल पंप पर दिनदहारे गोलीबारी सं दहशत

    0
    338
    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस ठाकुर: मधुबनीकें खजौली प्रखंड मुख्यालय सं सौ मीटर दक्षिण स्थित दिनेश किसान सेवा केंद्र नाम सं संचालित पेट्रोल पंप पर शुक्रदिन दिनदहारे हथियार सं लैश नकावपोश अपराधी हमला कए देलक। अपराधी बिना लूटपाट केने नोजल मैन एवं पंपक मंशीन पर तारमतोड़ छह राउंड गोली चला देलक।
    घटना स्थल सं करीब पचास मीटर दूर धरि खजौली, कलुआही एवं राजनगर थानाक पुलिस कैप कए रहल छल। पुलिस सेहो जबावमे छह राउंड गोली चलेलक। अपराधी घटनाक बाद हथियार हाथमे लेने रंजीत डॉन बाला मिश्रा जिन्दाबादकें नारा लगबैत कलुआही दिस चलि गेल। प्रत्यक्षदर्शिक अनुसार घटनाकें बाद भागए काल सेहो अपराधी हवाई फाईरिंग केलक।
    नोजल मैन उमेश कुमार महतो कहलनि जे, दिनके चारि बाजि कए नौ मिनटमे खजौली दिस सं कारी रंगक अपाची पर सवार तीनटा अपराधी आएल आ पंपके मुंशीक हत्याके उदेश्य सं मुंशी पर दू रारउंड गोली चलेलक। जाहिमे पंपके कांउटरक शीशा टूटि गेल। एक राउंड गोली सामनेकें देबाल पर लागल तथ दू राउड नोजल मैन उमेश कुमार महतो पर चलाओल गेल, उमेशकेँ जमीन पर खसि पड़लाक कारण गोली लोहाक बनल पानिक नलके पाईप पर लागल। घटना करीब पांच सं सात मिनट धरि चलल।
    घटनाकें बाद खजौलीमे दहशतकें माहौल बनल अछि। सूत्रक अनुसार अपराधी पहिने घटनाकें अंजाम देबाक चुनौती पुलिसकें देने छल। जाहिकेँ कारण भोरे सं खजौली, राजनगर एवं कलुआही थानाध्यक्ष सहित पुलिस बल पेट्रोल पंप, प्रखंड मुख्यालय एवं दू सौ मीटर दूर इनरवा गाममे कैंप कए रहल छल। बाबजूद अहिकें अपराधी घटनाकेँ अंजाम देलक।
    थानाध्यक्ष ब्रज किशोर सिंह कहलनि जे, जिलामे कतहु अहि घटनाक जानकारी पुलिसकें छल। जाहि कारण पुलिस तैयार छल। पुलिसक तत्परताके कारण अपराधी द्वारा पैघ घटनाकें अंजाम देबा एवं लूटपाट करबाक मंसा बिफल भेल। अपराधिक खोजबीन जारी अछि। सीसीटीवी कैमरामे घटनक तस्वीर कैद अछि। सीसीटीवी फूटेजके आधार पर अपराधीकें जल्दिए गिरफ्तार कएल जाएत।