होलिका दहनकें तैयारी पूरा, आय जराओल जाएत सम्मत

    0
    312

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा’क बहादुरपुरमे होलिका दहनक लेल चौक-चैराहा पर लकड़ी एकठ्ठा करबाक सिलसिला दू दिन पहिनहि सं चलि रहल छल। शहरे टा नहि ग्रामीण इलाकामे सेहो युवा वर्ग बहुत बहुत उत्साहक संग अहि काजमे जुटल अछि। उत्साह अहि कदर अछि जे, सूखाएल लकड़ीके कहैया गोइठा चिपड़ीक सेहो अम्बार लागि गेल अछि।

    ज्ञात हो कि होली सं एक दिन पहिनहि समुच्चा भारतमे होलिका दहनकें परंपरा चलैत आबि रहल अछि। एकरा लए कए बहुतो ठाम अलग-अलग मान्यता राखल गेल अछि। अहि मान्यताक अनुरूप समुच्चा मिथिले टामे नहि समुच्चा भारतमे अझुका दिन होलिका दहनक तैयारीमे दू दिन पहिने सं लोक लागि जाइत अछि।