पटना’क ईशान किशन रणजी मे रचलनि नव इतिहास, एक पारी मे लगेलनि 14 छक्का

    0
    286

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: रणजी ट्रॉफी के लीग चरण के मैच मे बिहारक लाल के बल्ला खूब चलि रहल अछि। भारत अंडर-19 टीमक कप्तान आ पटना के रहय वला ईशान किशन झारखंड दिस सं खेलाइत एहेन कारनामा केलनि जे, धोनी एहेन दिग्गज नहि कय सकल छथि।

    ईशानक बल्ला झारखंड दिस से खेलाइत दिल्ली के खिलाफ झारखंड आ दिल्ली के बीच चलि रहल रणजी ट्रॉफी ग्रुप बी मैच मे शानदार डबल सेन्चुरी लगौलक। ई झारखंड दिस सं खेलायल गेल एखन तक के सब सं पैघ इनिंग अछि। किशन 273 रनक पारी खेलेलनि, जाहि मे 14 छक्का शामिल अछि। रणजी मैचक एक इनिंग मे सब सं अधिक सिक्स लगाबय के रिकॉर्डक सेहो ईशान बराबरी कय लेलक।

    किशन अप्पन मैराथन पारी के दौरान 336 बॉलक सामना करैत 273 रन बनेलनि। 273 रन के स्कोर मे ईशान मैदान के चारु कात शॉट् लगबैत 21 टा चौका जड़लनि।