जेईई-मेन परीक्षामे पटनाकें ‘एलिट इंस्टीट्यूटक’ 172 छात्र भेल सफल

    0
    352

    पटना, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन आएल जेईई-मेन परीक्षाक परिणामक बाद सफल छात्र-छात्रामे एखनहु खुशीक लहर अछि। अहि क्रममे पटनाकें एलिट इंस्टिच्यूटक 172 छात्रकें जेईई-मेन परीक्षामे सफल हेबाक खबरि आएल अछि। संस्थानक निदेशक अमरदीप झा गौतम अहि शानदार सफलता पर छात्रकें बधाई दैत कहलनि जे, सही दिशानिर्देश आ मेहनतके कारण छात्र सफलता हासिल कए इंस्टिच्युटक नाम रौशन केलक अछि।

    पिछला वर्ष इंस्टिच्यूटके जेईई-मेन परीक्षामे 162 छात्र सफल भेल छल। परिणाम जारी हेबाक बाद संस्थानमे खुशीक लहर ब्याप्त अछि। अमरदीप झा गौतम छात्रक कामयाबीक श्रेय छात्रक मेहनत, अभिभावक द्वारा प्रोत्साहन, संस्थानक शिक्षकके सहयोग आ संस्थानक सही मार्गदर्शनकें देलनि। एलिट संस्थानक निदेशक अमरदीप झा गौतम कहलनि जे, सामान्य वर्गक लेल 81 अंक, ओबीसीके लेल 49 अंक, एस-सीके लेल 32 अंक, एस.टीके लेल 27 अंक जरूरी छल।

    ओ कहलनि जे, कट-ओँफ कम हेबाक कारण प्रश्न-पत्रकें पैघ भेनाई छल, जाहि कारण बच्चाकें समय-प्रबंधनमे दिक्कत भेल। 172 सफल छात्र-छात्रामे सामान्य वर्गक 43, ओबीसीके 96 आ एससी/एसटी वर्ग सं 33 छात्र शामिल अछि। अहि सफल छात्र-छात्रामे अनुष्का राज, अमित कुमार, हर्ष गौरव आ प्रीतिकाक सफलता विशेष तौर पर उल्लेखनीय अछि।