10 आ 5 रुपैयाक नब सिक्का जारी करबाक घोषणा केलक आरबीआई

    0
    289

    पटना, मिथिला मिरर: भारतीय रिजर्व बैंक हालहिमे 10 रुपैयाक नब सिक्का जारी करत। आरबीआइ ई सिक्का राष्ट्रीय अभिलेखागारक 125’म स्थापना दिवसकें अवसर पर जारी करए जा रहल अछि। अहि तरहे केंद्रीय बैंक इलाहाबाद हाईकोर्टक 150’म वर्षगांठके अवसर पर पांच रुपैयाक विशेष सिक्का सेहो जारी करत। आरबीआइकें पटना रिजनल कार्यालयके सूत्र अहि बातक जानकारी देलक अछि।

    ज्ञात हो कि देशमे 10 रुपैयाक विभिन्न प्रकारक सिक्का पर लोकमे भ्रमक स्थिति अछि। ई समय-समय पर जारी अलग-अलग डिजाइनक सिक्का अछि। आरबीआइ अहि सब सिक्काकेँ वैध बतेलक अछि। मुदा, आरबीआइ द्वारा बहुतो बेर 10 के नोट आ सिक्का बदलबाक बात कहलाक बाद भ्रमक स्थिति बनल छल। 10 रुपैयाक सिक्काकें लए अहि भ्रमक कारण विवाद होइत रहल अछि।