मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ सुशील मोदी छोड़लनि सरकारी गाड़ी, आब अपन वाहन केँ करता सवारी

0
1130

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी बिगुल बाजी चुकल अछि। तीन चरण मे चुनाव संपन्न होयत। एही बीच एकटा पैघ खबरि बिहारक राजधानी पटना सँ भेट रहल अछि। खबरि केँ मुताबिक आचार संहिता लगिते राज्यक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ उप-मुख्यमंत्री सुशील मोदी सरकारी गाड़ी जमा करा देलनि अछि।  नीतीश कुमार आ सुशील कुमार मोदी आब अपन गाड़ी सँ चलताह। सुशील मोदी ट्वीट क’ एहन जानकारी देलनि अछि। राजनीतिक सुचिता केँ आधार पर गाड़ी जमा कराओल गेल अछि एहन कहल जा रहल अछि। बतादी जे चुनाव मे जनप्रतिनिधि लेल सरकारी गाड़ी केँ उपयोग प्रतिबंधित अछि।

बिहार मे चुनावक घोषणा पर सुशील मोदी कहलनि अछि जे भजपा आ एनडीए पूर्ण रूप सँ चुनाव लेल तैयार अछि। जे सभ चुनाव टालबाक बात क’ रहल छलाह ओ सभ मजबूरी मे फैसला केँ स्वागत क’ रहल छथि। चुनाव मे मुख्यमंत्रीक चेहरा आ कएल गेल काज पर वोट माँगल जायत। हालाँकि जदयू आ लोजपा केँ बीच चलि रहल रार पर कोनो प्रतिक्रिया नहि देलाह। गठबंधन मे सीट बँटवारा पर जबाब दैत कहलाह जे सभ किछु निश्चित समय पर सर्वसम्मति सँ क’ लेल जायत।