मधुबनी मे आरकेस्ट्रा देखइ लेल गेल महादलित युवतीक संग गैंग रेप

    0
    294

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के  हरलाखी थाना अन्तर्गत हर्सुआर गाम मे आर्केस्ट्रा डाँस देखय गेल महादलित युवतीक संग  गैंग रेपक मामला सामने आयल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, युवती के पहिने आर्केस्ट्रा डाँस देखाओल गेल तकरा बाद युवतीक संग गैंग रेप कायल गेल।

    सूत्रक अनुसार दुष्कर्म केनहार ओहि गामक दू टा शातिर बदमाश छल। रेप मे ओ व्यक्ति सेहो शामिल छल जकरा दरवज्जा पर आर्केस्ट्राक आयोजन कायल गेल छल। पीड़िता के अनुसार 11 अगस्तक राति आर्केस्ट्रा देखबाक दौरान ओ शौचक लेल निकलली। ताहि क्रम मे पहिने से घात लगा क बैसल दू टा युवक युवती के पकड़ी कय आमक बगीचा मे लय जा क जबरदस्ती केलक।

    अहि मामला मे पूर्व सरपंच आ पूर्व मुखिया बतौलनि जे, जकरा दरबज्जा पर आर्केस्ट्रा भय रहल छल ताहि घरक लड़का सब अहि दुष्कर्म मे शामिल अछि। दोसर दिन पीड़िता के माँ कहलनि जे, दुष्कर्मक बाद जहन मामला दर्ज करेबाक लेल थाना पहुचलहू त थाना प्रभारी एफआईआर लिखबा से साफ मना कय देलनि। बाद मे महिला थाना मे मामला दर्ज कराओल गेल।