गर्मी अबितहि अस्पतालमे मरीजक स्थिति बदहाल

    0
    266

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: गर्मीक दस्तक दैतहि लोक़ मौसमी बीमारीक चपेटमे आबय लगैत अच्छी। अस्पतालमे रोगीक संख्या बढ़य लगैत अच्छी, मुदा एकरा लेल स्वास्थ्य विभागक तैयारी पूरा नहि अच्छी। किछु एहने हाल पटोरीक अनुमंडलीय अस्पतालमे देखल गेल। ओपीडीक मरीजक लेल दवाई त उपलब्ध छल, मुदा इमरजेंसीक लेल दवाई नहि छल।

    एतय काफी संख्यामे मरीज अस्पताल परिसरमे एकत्रित भए, ओपीडीमे कतार लगबैत अछि। बृहस्पति दिन डॉ. सुबोध कुमार, डॉ. असगर अली आ डॉ. नीलकमल ड्यूटी पर छलाह आ मरीजक परीक्षण कय रहल छलाह। पहिल बेर अधिकांश मरीजकें लिखल गेल सब दवाई अस्पतालमे भेट गेल।

    ओपीडीक लेल निर्धारित 33 दवाीमे सँ 26 दवाी अस्पतालमे उपलब्ध छल। तकरबादो खांसी आ सर्दीक़ रोगीक लेल कफ सीरप आ सिट्रीजीन नहि छल। अस्पतालक 14 बेड पर बिछावन दुरुस्त अवश्य छल, किन्तु जच्चा-बच्चा विभागमे मरीजक बहुत शिकायत छल।