दोहराओल गेल दरभंगाक घटना, फेर जिबैत जराओल गेलाह ‘मनोज’

    0
    265

    मधुबनी, मिथिला मिरर: दरभंगामे आगि लगा कए जरेबाक मामला शान्तो नहि भेल छल, कि फेर एकटा एहने घटना प्रकाशमे आबि गेल। मधुबनीक लखनौर थाना क्षेत्रक गंगापुर पंचायत स्थित कमला बलान छहर पर मंगलदिन राति चैती दुर्गा पूजा देखिकय आबि रहल भैरवस्थान थानाक सर्वसीमा गामक रामलखन मुखियाकें 20 वर्षीय पुत्र श्रीप्रसाद मुखियाकें शरीर पर ज्वलनशील पदार्थ ढारिकय किछु अज्ञात बदमाश आगि लगा देलक।

    सूत्रक अनुसार युवक डाँड़ सँ नीचाँ बहुत रास जरि गेल अछि, एवं हाथ छाती वगैरह झुलसि गेला सँ युवक भरि राति छहर पर छटपटा रहल छल। भोर भेलाक बाद इजोत में युवककें जहन मोबाइल भेटल तहन ओ अपन परिजनकें सूचना देलक। परिजन पहुंच कय युवककेँ इलाजक लेल पंडौल थानाक सरिसवपाही स्थित संजीवनी अस्पतालमे अनलक, जतय युवककेँ इलाज चलि रहल अछि।

    फिलहाल युवक होशमे नहि अछि, जाहि कारण घटनाक सही जानकारी नहि भेटि रहल अच्छी। सूचना पर लखनौर थानाध्यक्ष शिव कुमार प्रसाद सदल बल सरिसवपाही संजीवनी अस्पताल पहुंचकय मामलाक छानबीनमे जुटि गेल छथि।