चलैत ट्रेन मे चारि सालक बच्चीक संग बलात्कार, आरोपी गिरफ्तार

    0
    270
    बताओल जा रहल अछि जे, आरोपी गोविंद कुमार बॉगी मे घुसि क उपर वला सीट पर बैसबाक लेल जगह मंगलक। ओहि सीट पर बच्ची सुतल छल। जहन ट्रेन महनारक समीप पहुंचल त ओ बच्चीक संग दुष्कर्म केलक। बच्ची अप्पन मां’क संग शादी समारोह मे शामिल हेबाक लेल सोनपुर जा रहल छल।

    आरोपी गोविंद कुमार छपरा मे सहायक लोको पायलट के पद पर पदस्थापित अछि। पुलिस आरोपी स पूछताछ कय रहल अछि। हालांकि आरोपी अपना उपर लगाओल गेल आरोप स इंकार कय रहल अछि।