यूपीमे योगी’क ताजपोशी पर दरभंगामे आतिशबाजी

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर: उत्तर प्रदेशमे मुख्यमंत्री’क पद पर योगी आदित्यनाथकें ताजपोशी’क खुशी मिथिलांचलमे सेहो देखल गेल। नगर विधायक संजय सरावगी योगीकें मुख्यमंत्री बनबा पर बधाई दैत कहलकनि जे, आब उत्तर प्रदेश’क चौमुखी विकास होएत। ओ कहलनि जे, सब वर्गक सहयोग सं सबहक विकास होएत।

    एम्हर। रविदिन साँझमे बेंता चौक पर भाजपा कार्यकर्ता अहि खुशीमे जमिकय आतिशबाजी केलक तथा यूपीक नब मुख्यमंत्रीकें बधाई देलक। मौजूद कार्यकर्ता मोदी-योगीक नारा लगा रहल छल। मौका पर पार्टी नेता कहलनि जे, योगीक नेतृत्वमे देशक सब सं पैघ राज्य उत्तर प्रदेश विकासक पथ पर बढ़त। पांच राज्यक जनता, सबकेँ प्रधानमंत्री मोदीमे विश्वास अछि।

    मौका पर जिलाध्यक्ष हरि सहनी, जिला मंत्री अशोक नायक, संजीव साह, प्रो.धर्मशीला गुप्ता, लहेरियासराय नगर भाजपा’क पूर्व अध्यक्ष विकास चौधरी, लहेरियासराय नगर भाजपाक पूर्व अध्यक्ष आदित्य नारायण चौधरी मन्ना, रेखा झा, राजू सिंह, जीवछ सहनी समेत पार्टीक बहुतो नेता आ कार्यकर्ता मौजूद छल।