लालू यादव के काफिला मे भेल हादसा, 6 गोट सुरक्षाकर्मी घायल

    0
    283

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: बिहार के हाजीपुर मे राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव के काफिला हादसा के शिकार भय गेल। सूत्रक अनुसार लालू यादव के संग काफिला मे चलि रहल सुरक्षाकर्मी सं भरल एकटा जीप हाजीपुर के पासवान टोल मे अनियंत्रित भय क उलटि गेल। सूत्रक अनुसार दुर्घटनाग्रस्त भेल ई जीप लालू यादव के ठीक पाछु चलि रहल छल।

    हादसे मे गाड़ी उलटलाक कारण गाड़ी मे सवार 6 सुरक्षाकर्मी घायल भय गेल अछि। घटना के बाद अफरातफरी के माहौल बनि गेल। घटना के तुरंत बाद घायल सुरक्षाकर्मी के स्थानीय अस्पाताल मे इलाजक लेल भर्ती कराओल गेल।