विवाह करबा सं मना केला पर प्रेमी के घर पर धरना पर बैसल प्रेमिका

    0
    286

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर के कजरैली थाना क्षेत्रक सिमरिया गाम मे विवाह करबा सं मना केला पर एकटा प्रेमिका अप्पन प्रेमी के घर धरना पर बैस गेल। जकरा देखबाक लेल भारी संख्या मे अासपासक लोक जुटि गेल। सूचना भेटतहिं मौका पर पहुंचल पुलिस फिलहाल दूनू के समझा बूझाकय मामला के शांत करा देलक अछि।

    जानकारी के अनुसार लड़की पुलिस के कहलक अछि जे, ओ खगड़िया के रहय वाली अछि आ नवगछिया मे अप्पन मौसी के घर रहैत अछि। लड़की के विवाह किछु वर्ष पूर्व भेल छल, मुदा ओकर पति पागल छल। जाहि कारने ओ तलाक लय लेने छल। सिमरिया के रहय वला कथित प्रेमी भागलपुर मे कंप्युटर के दोकान चलबैत अछि। ओ अक्सर भागलपुर अबैत छल, जाहि दौरान युवक सं प्रेम भय गेल।

    लड़कीक आरोप अछि जे, विवाहक झांसा दय कय युवक बहुतो बेर शारीरिक संबंध बनने अछि। बाद मे विवाह के नाम पर पिछले दू वर्ष सं टालमटोल कय रहल अछि। जाहि के बाद ओ प्रेमी के घर पर आबि कय धरना पर बैसबाक फैसला केलक।