दरभंगा मे चलि रहल अछि आर्थोपेडिक कॉन्फ्रेन्स’क तैयारी

    0
    496

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मिथिला आर्थोपेडिक के तत्वावधान मे आगामी 17 सं 19 फरवरी तक होबय वला कॉन्फ्रेन्स के ली हड्डी रोग विशेषज्ञ डॉ. एसएन सर्राफक अध्यक्षता मे एकटा बैसक आयोजित कायल गेल। बैसक के संबोधित करैत डा. आर. के प्रसाद कहलनि जे, देश भरि के 100 सं अधिक आर्थोपेडिक विशेषज्ञ डॉक्टर एतय औताह। जाहि सं मेडिकल छात्र के सीखबाक अवसर भेटतनि।

    ओ कहलनि जे, खासतौर सं कमर दर्द, पसलीक हड्डी आ घुटना के जोर मे दर्दक लेल सर्जरी के तरीका सेहो बताओल जायत। ओ कहलनि जे, कॉन्फ्रेन्सक उद्घाटन आर्यभट्ट विश्वविद्यालय के कुलपति डा. एसपी सिंह करताह। अहि मौका पर पटना सं आयल डा. राजीव आनंद, डॉ. अनिल राम, डा. राकेश चौधरी आयोजन के सफल बनेबाक अपील केलनि। अहि मौका पर डा. आरवी खेतान, डा. नंद कुमार, डा. एसएन सिन्हा, डा. अभिषेक सर्राफ सहित दर्जनों डॉ. उपस्थित छलाह।