मुजफ्फरपुर के बाजार समिति मे आलू व्यवसायी’क हत्या

    0
    300

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: अहियापुर बाजार समिति के प्याज व्यवसायी रामू यादव के चक्कू सं हत्या करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। घटनाक जानकारी भाई राम इकबाल यादव तथा चाह दोकानदार राकेश कुमार अन्य गद्दीदार के देलक अछि।

    घटना सं बाजार समिति के अन्य गद्दीदार आक्रोशित भय आंदोलन करबाक विचार कय रहल अछि, मुदा मौका पर पहुंचल नगर डीएसपी आशीष आनंद, अहियापुर थानाध्यक्ष गणपति ठाकुर के संग सामाजिक कार्यकर्ता सब स्थिति के सम्हारलनि। लोक के कोनो तरह शांत कय लहास के पोस्टमार्टम के लेल एसकेएमसीएच पठाओल गेल।

    व्यवसायी के लहास के समीप खून मे सानल चक्कू आ पिस्टल बरामद भेल अछि। एफएसएल टीम घटनास्थल पर पहुंच कय मामलाक जांच कय रहल अछि।  मामलाक प्राथमिकी व्यवसायी के भाई के बयान पर दर्ज कय लेल गेल अछि। पुलिस पिकअप चालक तथा मुंशी के हिरासत मे लय पूछताछ कय रहल अछि।