बिहार प्रशासन निश्चिन्त, मात्र 9 जिला मे आगिक व्यवस्था

    0
    307

    पटना, मिथिला मिरर: हाड़ कपा देबय वला जार सं लोक परेशान अछि, फिलहाल अहि सं छुटकारा भेटबाक उम्मीद सेहो नहि अछि। जारक बढ़ैत प्रकोपक बावजूद बिहारक अधिकांश जिलाक प्रशासन सिरक तर मे गबदी मारने अछि।

    आपदा प्रबंधन विभाग दिस सं राशि जारी करबाक बावजूद बिहारक 38 जिला मे सं 29 टा जिला मे आगिक व्यवस्था नहि अछि। बढ़ैत जारक बावजूद आगि जरेबा मे पटना के डीएम सेहो रुचि नहि लय रहल छथि। आगिक व्यवस्था ने सामुदायिक भवन मे अछि आ ने रैन बसेरा मे।

    पटना समेत 29 जिला मे आगिक व्यवस्था नहि अछि। 38 मे सं मात्र 9 गोट जिला मे आगिक व्यवस्था अछि। नालंदा मे 77 जगह, शिवहर मे 19 जगह, आ सारण मे 118 जगह पर जिला प्रशासन दिस सं आगिक व्यवस्था कायल गेल अछि।

    इसके अलावा दरभंगा मे 104 आ मधुबनी मे 45 जगह पर जार सं निजातक लेल आगिक व्यवस्था अछि। खगड़िया मे 50 जगह आ लखीसराय मे 15 जगह पर आगि जरैत देखल गेल। सुपौल मे जिला प्रशासन 26 जगह तथा कटिहार मे 32 जगह पर आगिक व्यवस्था केने अछि।