मुजफ्फरपुरक घटना : पूर्व मंत्रीकेँ निजी सहायकसँ सीबीआइ करत पूछताछ

    0
    318

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : मुजफ्फरपुर बालिका गृह प्रकरणमे पुलिस केस डायरीक आधार पर कतेको लोक सभसँ सीबीआइ पूछताछक कवायदमे जुटल अछि। एहिमे समाज कल्याण विभागक पूर्व मंत्री मंजू वर्माक निजी सहायक अमरेश कुमार सहित अनेको लोक सभसँ सीबीआइ पूछताछ क’ रहल अछि। एहि पूछताछमे समाज कल्याण विभागक अनेको  पैघ आ छोट अधिकारी शामिल छथि। हालांकि, आधिकारिक रूपसँ एकर पुष्टि नहि कएल गेल अछि मुदा सीबीआइकेँ अधिकारी सभ जेहन संकेत द’ रहल छथि ओहिसँ स्पष्ट अछि जे जल्दिये एहि मामला पर सीबीआइ शिकंजा कसत। बताओल जा रहल अछि जे पुलिस जाँचक बाद केस डायरीमे जिनका सभक नाम सामने आबि रहल अछि ओ सभ सीबीआइक रडार पर छथि। पिछला सप्ताह सीबीआइ केसक डायरी कोर्टसँ ल’ लेने छल जकर अवलोकन कएल गेल। अवलोकनसँ पता चलल जे अमरेश सभ जिलाक सहायक निदेशकसँ डायरेक्ट संपर्कमे छल। एहि बातकेँ  ध्यानमे रखैत सीबीआइ ब्रजेशक संग पूर्व मंत्री आ हुनक पतिके संग केहन तरहक सम्बन्ध छल तकर जाँच सेहो करत। जब्त फाइल सभमे ब्रजेशक संस्थाके पैघ नेटवर्कक बात सामने आबि रहल अछि।  एहि आधार पर समाज कल्याण विभागके अधिकारी सभ पर सीबीआइ नकेल कसत। बतादी जे जेलमे बंद निलंबित सीपीओ रवि रोशनक पत्नी शिभा कुमारी सेहो पूर्व मंत्रीक पति समेत अनेको लोक सभ पर बालिका गृहमे एबाक आरोप लगौने छल। एहि बयानके बाद राजनीतिक सरगर्मी बढि गेल छल आ अंतमे मंत्रीकेँ  इस्तीफा देबय पड़लनि।