घोघा नदी पर बनल पुल जर्जर, दहशतमे यात्री

0
412

भागलपुर, मिथिला मिरर : एनएच 80क  घोघा, गेरूआ, भैना आ कुआ नदी पर बनल पुलक  स्थिति जर्जर भेलासँ एहि पुलसँ जायबला वाहन चालक दशहतमे रहैत छथि।  एहि मामलामे सड़क निर्माण विभाग मरम्मत कराबय केँ  बदला चुप्पी साधि लेने छथि। घोघा नदी पर बनल पुलक दुनु तरफ बनल रेलिंग सेहो क्षतिग्रस्त अछि। सभसँ ख़राब स्थिति गेरुआ नदी पर बनल आरसीसी पुलक अछि, जाहि पुलक ऊपरका सतह उखडि गेल छैक संगहि छड़ सभ सेहो बाहर निकलि गेल अछि जे जानलेवा भ’ सकैत अछि। तहिना भैना नदी पर स्क्रू पाइल पुलक स्थिति किछु बेसिये खराब अछि, एहि पुलसँ जखन कुनो वाहन जायत अछि तखन पुल हिलय लगैत अछि हलाँकि एहि पुलसँ पैघ गाड़ीक आवागमन पर रोक लागल अछि। तहिना कुआ पुलक ऊपरी सतह त’ सड़क निर्माण विभागे  उखाड़ि देने अछि, मुदा अखनि धरि  दोसर लेयरक निर्माण शुरू नै भ’ सकल अछि।  सड़क पर बड़का-बड़का खाधि  भ’ गेल जाहि कारणसँ लोक सभक परेशानी बेसिये भ’ गेल छनि। तहिना मैनी नदी पर बनल पुलसँ गेनाइ प्राण हाथेमे लेनाय भ गेल अछि। एनएचके कार्यपालक अभियंता बतौलनि जे पिछला दू सालसँ कुनो नव स्कीम आ फंड नहि अछि जाहि कारणसँ पुलक मरम्मति नै भ’ पाबि रहल अछि। पुल-पुलियाक मरम्मतिक लेल एनएच 80के एनएचआइक अधीन स्थानान्तरित क’ देल गेल अछि मुदा तकरा बादो काज अखनि शुरू नै भेल। एहनमे सवाल अछि जे आखिर ग्रामीण क्षेत्रसँ  निकलल कुनो सड़ककेँ मरम्मति किएक नै कएल जाइत अछि आ संबंधित विभाग एहन तरहक उदासीन रवैया किएक रखने अछि।