रैयाम मे झंडा फहरा ‘एमएसयू’ केलक चीनी मिल आंदोलन के और तेज़

    0
    281

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मिथिला स्टूडेंट यूनियन दिस स बंद पड़ल चीनी मील के खुलेबाक लेल चलि रहल आंदोलनक दोसर चरणक शुभारंभ कायल गेल। अहि कार्यक्रम के तहत रैयामक आस-पास के राजौरा, फुलकाही, पचाढ़ी, नयागंव पूर्वी, नयागंव पश्चमी, बलिया, बंसरा, हिजरा, औंसी सहित दर्जन भरि गाम मे जनसंपर्क कय जन जागरण कार्यक्रम चलाओल गेल।

    तीन दिन स चलि रहल द्वितीय चरणक आन्दोलन के दौरान 12 गोट गाम मे युवा ग्राम दलक गठन कायल गेल। 13 आ 14 अगस्त क अहि क्रम मे 15 अगस्त के भोर मे सैकड़ों स्थानीय लोकक बीच रैयाम हाट मे झंडातोलन कय मिथिलाक हरायल वैभव पुनः वापस अनबाक संकल्प लेल गेल।

    दोसर दिस 15 अगस्तक राति मे संस्थाक दरभंगा जिला अध्यक्ष विमल मैथिलक अध्यक्षता मे एकटा विशाल जनसभाक आयोजन कायल गेल। स्थानीय लोक के संबोधित करैत संस्थाक बिहार प्रभारी अविनाश भरद्वाज, पटना प्रभारी नीरज शेखर, मधुबनी प्रभारी रणधीर झा, मीडिया प्रभारी अमित सिंह, गोपाल चौधरी, विद्या भूषण राय आदि अप्पन पक्ष रखलाह।