जजक नियुक्ति अतिशीघ्र हेबाक चाही: नीतीश कुमार

    0
    261

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार भारत के मुख्य न्यायधीशक बढ़ैत रिक्ति पर चिंता जताबैत कहलनि जे, न्यायधीशक रिक्त पद के अतिशीघ्र भरल जेबाक चाही।

    बिहार विधान परिषद परिसर मे मंगलदिन पत्रकार द्वारा जजक रिक्त पद पर नियुक्ति स संबंधित प्रश्न पूछला पर नीतीश कहलनि जे, न्यायपालिका के अप्पन चिंता अछि। विभिन्न उच्च न्यायालय मे भाड़ी संख्या मे रिक्तिअछि। जकरा जल्दी भरबाक आवश्यकता अछि। भारत के मुख्य न्यायधीश जे चिंता जतौलनि ओ स्वभाविक अछि।

    उल्लेखनीय अछि जे, प्रधान न्यायाधीश टी एस ठाकुर सोमदिन कहने छलाह जे, हम अहि बात स निराश छी जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अप्पन स्वतंत्रता दिवस केर भाषण मे न्यायाधीशक नियुक्ति के लय क कोनो उल्लेख नहि केलनि।