समस्तीपुर मे व्यवसायी के दोकान सं बजा कय बीच बाजार मे मारलक गोली

    0
    265

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर मे अपराधक वारदात कम हेबाक नाम नहि लय रहल अछि। ताजा मामला समस्तीपुरक पूसा थानाक पातेपुर चौकक अछि। जतय दवाई व्यवसायी पंकज कुमार के दू के संख्या मे आयल मोटरसाइकिल सवार अपराधी दोकान सं बजा कय गोली मारि देलक।

    व्यवसायी के गंभीर हालत मे निजी नर्सिंग होम मे भर्ती कराओल गेल। सदर डीएसपी मोहम्मद तनवीर अहमद कहलनि जे, घटनाक पाछु आपसी विवाद सामने आयल अछि। पुलिस छापेमारी कय रहल अछि।जानकारीक अनुसार पातेपुर गोपीनाथ निवासी राम बालक महतोक पुत्र पंकज महतो दवाई व्यवसायी अछि। घटनाक बाद हवा मे बन्दुक लहराबैत अपराधी फरार भय गेल। व्यवसायीक स्थिति काफी गंभीर बताओल जा रहल अछि।