बिहार मे बाढ़िक अध्ययन करबाक लेल केंद्रीय विशेषज्ञ टीमक गठन

    0
    347

    पटना, मिथिला मिरर: प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बाढ़ि पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बात मानैत बिहार मे गंगा बेसिन मे बाढ़िक कारण के पता लगेबाक लेल एकटा केंद्रीय टीम बिहार पठेबाक निर्णय लेलाह।चारि सदस्यीय ई टीम सूबे मे बाढ़िक संदर्भ मे गंगाक प्राकृतिक अध्ययन करत। खासकय फरक्का बराज के निर्माणक बाद गंगा मे आयल परिवर्तन आ सिल्टक समस्या पर अधिक ध्यान देल जायत। सूत्रक अनुसार मुख्यमंत्रीक आग्रह के बाद प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के निर्देश पर केंद्रीय गृह मंत्रलय अहि टीमक गठन केलक अछि। टीम के दस दिन मे अप्पन रिपोर्ट सौंपबाक आदेश देल गेल अछि।

    गंगा बेसिन मे बाढ़ि के दौरान मुख्यमंत्री केंद्र सरकार स आग्रह केने छलाह जे, एकटा विशेषज्ञ टीम पठाकय बिहार मे बाढ़िक अध्ययन कराओल जाय। फरक्का बराज के निर्माणक बाद गंगाक पानि के प्रवाह मे कमी आ गाइद के जमाव के बाढ़ि के मुख्य कारण बताबैत नीतीश केंद्र सरकार के गाइद प्रबंधन के सलाह देने छलाह।