मधुबनी मे अपराधी फेकलक दू टा घर पर बम

    0
    475

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला के लहेरियागंज अंतर्गत दू मंठा तेलियानी मोहल्ला मे मंगलदिन देर राति बदमाश दू टा घर मे बम फ़ेंक कय दहशत फ़ैलेबाक कोशिस केलक। जानकारीक अनुसार मंगलदिन राति साढे ग्यारह बजे भोथाई साह के घर पर बम फेंकल गेल। भोरे करीब चारि बजे राजेंद्र साह आ परमेश्वर साह के आंगन मे बम विस्फोट कायल गेल।

    विस्फोट के बाद चारु तरफ धुंआ फैलला सं लोकक बीच डर फैल गेल। ओतहि बम विस्फोट स बाथरूम के चदरा टूटि गेल। हालांकि घटना मे कोनो हताहत हेबाक खबरि नहि अछि। सूचना पर पहुँचल टाउन पुलिस बम आ आस-पास मे पसरल पाथर के छोट छोट गिट्टी आदि जब्त केलक। दरोगा एसएन सिंह ने कहलनि जे, दूनू बम लो पोटेन्सी के छल। जर्दा के डिब्बा मे गिट्टी आ बारूद भरिकय बम तैयार कायल गेल छल।