दरभंगाक सी. एम. कॉलेज मे एनएसयूआई चलेलक सदस्यता अभियान

    0
    515

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: दरभंगा जिला एनएसयूआई के तत्वावधान मे सी.एम॰कॉलेज मे सदस्यता अभियान चलाउल गेल। छात्र लोकनि के उत्साहित करैत कॉंग्रेस जिलाध्यक्ष सीताराम चौधरी कहलनि जे, विश्वविद्यालय आ महाविद्यालय मे छात्र-छात्रा सबहक अधिकार के दबा देल जायत अछि।

    अहि अवसर पर एनएसयूआई के जिला महासचिव मो.आरफीन करीम कहलनि जे, छात्र लोकनिक समस्याक समाधान करबाक वाश्ते एनएसयूआई के टीम हमेशा तत्पर रहत आ आवाज़ उठायत। मौका पर ज्योत्सना गिरी, अमित कुमार, प्रशांत, प्रवीण कुमार, जयंत झा समेत बहूत रास छात्र नेता उपस्थित छलाह।