भाजपा प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय’क स्वागतक लेल सजि रहल ‘हाजीपुर’

    0
    277

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: बिहार भाजपाक नव प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय’क स्वागत के लेल हाजीपुर के चुनल गेल अछि। भाजपा के नव प्रदेश अध्यक्षक हाजीपुर मे भव्य स्वागतक लेल शहर के सजाओल जा रहल अछि।

    गांधी सेतु सं हाजीपुर शहर घूमैत जंदाहा तक जगह-जगह रोड शो’क आयोजन कायल जा रहल अछि।प्रदेश अध्यक्ष बनलाक बाद पहिल बेर अप्पन पैतृक स्थान हाजीपुर पहुच रहल नित्यानंद राय’क स्वागत मे कार्यकर्ता कोनो कसर नहि छोड़य चाहि रहल अछि।

    हाजीपुर सं चारि बेर संसद रहल नित्यानंद राय के मंगलदिन समस्तीपुर मे सेहो स्वागत होयत। अहि मौके पर भाजपा कार्यकर्ता मे जबरदस्त उत्साह बनल अछि।