पूर्णियां मे कोल्ड स्टोरेज मे आगि लगला सं करोड़ो’क सम्पति खाक

    0
    290

    पूर्णियां, मिथिला मिरर: बिहारक पूर्णिया मे सोमदिन राति एकटा कोल्ड स्टोरेज मे भीषण आगि लागि गेल। आगि सं एक करोड़ स अधिक के क्षति बताओल जा रहल अछि। घटना सदर थाना के खुश्कीबाग स्थित कृष्णा कोल्ड स्टोरेज के अछि। आगि राति के करीब एक बजे लागल छल। आठ दमकलक मददि स लगातार 10 घंटाक मश्कक्त के बाद आगि पर काबू पाओल जा सकल।

    कोल्ड स्टोरेज के मालिक कुणाल के अनुसार आगि लगबाक कारणक पता नहि चलि सकल अछि। राति मे अचानक भीतर स फटफट के आवाज सुनबा मे आयल। दमकलकर्मी के सूचना भेटतहि पूर्णिया, आररिया आ कटिहार स बहुतो दमकल पहुंचल। ओतहि दमकलकर्मी के अनुसार आगि एतेक भीषण छल जे, काफी मशक्कत के बाद काबू मे आयल।

    घटनाक सूचना पर सदर एसएचओ, सदर एसडीएम आ एसडीपीओ मौका पर पहुंच गेल छलाह आ आवश्यक निर्देश दय देल गेल। अहि भीषण आगि मे कोल्ड स्टोरेज मे राखल कीमती मशीन समेत सब सामान जरि कय खाक भय गेल।

    सदर एसडीएम रविन्द्र नाथ सिंह कहलनि जे, प्रथमदृष्टया शार्ट सर्किट स आगि लगबाक बात सोंझा आबि रहल अछि।