रेलक चपेट मे एला सं दू टा बच्चा सहित महिलाक मौत

    0
    260

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसराय मे मंगलदिन ट्रेनक चपेट मे एला सं एकटा महिला आ दू टा बच्चा समेत तीन लोकक मौत भय गेल। घटना बेगूसराय रेल थाना क्षेत्रक तिलरथ के समीपक अछि। फिलहाल मृतकक पहिचान नहि भय सकल अछि। घटना के जानकारी भेटतहि जीआरपी घटनास्थल पर पहुंचकय लहास के पोस्टमॉर्टम के लेल सदर अस्पताल पठा देलक अछि।

    स्थानीय लोकक कहब अछि जे, घटना कटिहार-पटना इंटरसिटी अप 15713 स भेल अछि, ओतहि किछु लोक कहि रहल अछि जे, दू टा ट्रेनक बीच मे फंसलाक कारने तीनू के मौत भेल अछि।

    मृतक मे 35 वर्षीय महिला समेत महिलाक दू टा बच्चा शामिल अछि, जाहि मे एकटा 12 सालक लड़की आ दोसर 10 सालक लड़का अछि। सूत्रक अनुसार महिला शायद बंजार छल आ सोमदिन राति परिवारक लोक स झगड़ा भेल छल। आब ई जांचक बाद पता चलि सकत जे घटना हादसा छल या आत्महत्या।