मधुबनीमे धरना-प्रदर्शनक बाद जिलाधिकारी सं भेंट कए ज्ञापन सौंपलकः एमएसयू

    0
    283

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा चीनी मिल कें पुनः चालू करेवाक लेल चलाओल जा रहल जनजागरण अभियानक तेसर दिन मधुबनी पहुंचल एमएसयूक कार्यकर्ता लोकनि शहरक विभिन्न जगह पर शांतिपूर्ण सभा, नुक्कड़ नाटक आ धरना दैत मधुबनी समाहरणालयक सम्मुख पहुंचल, जाहि ठाम किछु कालक धरनाक उपरांत जिलाधिकारी मिसूक कार्यकर्ता लोकनिक संग वार्ता करवाक लेल तैयार भेलाह। जाहिकें बाद एमएसयूक टीममे किछु गोटे डीएम लग जा मिथिलामे बंद पड़ल चीनी मिलकें पुनः चालू करवे सं जुड़ल ज्ञापन देलाह।
    मधुबनीमे जनजागरणक बाद टीमक किछु सदस्य लोहट मे बंद पड़ल चीनी मिलक दौरा सेहो केलाह। अपने कें बता दी जे पैछला 28 मई सं आगामी 2 जून तक मिथिला स्टूडेंट यूनियन मिथिलाक विभिन्न ठाम-ठाम चीनी मिलक विषय पर सरकारक खिलाफ शांतिपूर्ण विरोध प्रदर्शनक संग-संग लोकमें जनचेतना जगेवाक कार्य कऽ रहल अछि जेकरा व्यापक स्तर पर आम जनताक समर्थन भेट रहलैक अछि। मिथिलाक इतिहसामे ऐहन पहिल बेर भए रहल अछि जे विकासक नाम पर लोककें एक संग अनवाक कोशिश भए रहल अछि आ अहि कोशिश मे स्थानीय जनता लोकनिक सहयोग सेहो प्रशंसनीय अछि।
    पहिने दरभंगा, फेर सकरी आ ओहिकें बाद मधुबनी होइत मंगल दिन एमएसयूक टीम बेनीपट्टीमे अपन प्रदर्शन कए रहल अछि जाहिठाम अपार संख्यामे स्थानीय लोक अहि प्रक्लपकें अपन समर्थन देवाक लेल आगू आबि रहला अछि।