महाकवि विद्यापतिक स्मृतिमे निकालल गेल कलश-यात्रा

    0
    410

    गिरीश पार्क कोलकाता मे स्थापित महाकवि विद्यापतिक प्रस्तर-प्रतिमा के समक्ष सँ भूतनाथ मंदिर धरि निकलैत अछि कलश-यात्रा। कोलकाताक गिरीश पार्कमे “मिथिला विकास परिषद” द्वारा सन् १९९० ई. मे कविपति विद्यापतिक मूर्ति स्थापना भेल छल। ई ऐतिहासिक कार्य कोलकाताक शस्य श्यामल भूमि पर रचल गेल इतिहासक पश्चात प्रत्येक बरख महाकवि विद्यापतिक अवसान दिवसक पावन स्मृतिमे कोलकाताक”मिथिला विकास परिषद”क महिला शाखा “मिथिला महिला मंच” द्वारा निकालल जाइत आबि रहल अछि। विगत बरखक भांति एहू बेर कलश-यात्रामे मैथिली ललना, महिला, पुरूष एवं बौआ-बुच्ची बढ़ि-चढ़ि के भाग लेलन्हि। कलश-यात्रा सँ पूर्व गिरीश पार्कमे स्थापित महाकवि विद्यापतिक प्रस्तर प्रतिमाक समक्ष हुनक रचना भगवतीक वंदना “जय-जय भैरवि असुर भयाउनि” शैल झा, रूपा चौधरी, किरण प्रतिहस्त तथा आशा झा के द्वारा प्रस्तुत कयल गेल। भगवती-वंदना समाप्त होइतहिं उपस्थित श्रद्धालु लोकनि द्वारा “हर-हर महादेव, कविपति विद्यापति अमर रहैथ” कें जयकारा सँ गिरीश पार्कक संलग्न क्षेत्र मिथिलामय भs उठल।

    कलश-यात्रामे महादेवक रूपमे उदयकांत मिश्र एवं विद्यापतिक रूपमे जयप्रकाश झा के उपस्थिति दर्शनीय छल। भगवती-वंदनाक पश्चात् पूर्व विधायक एवं तृणमूल कांग्रेसक नेता संजय बक्शी एवं “मिथिला महिला मंच” केर अध्यक्ष द्वारा दीप प्रज्जवलित कs कलश-यात्राक विधिवत् उद्घाटन भेल। दीप प्रज्जवलित होइतहिं शंखक ध्वनि आओर घड़ीघंटाक आवाज सँ सद्यः लागल जे विद्यापतिक समक्ष महादेवक अवतरण भs गेल अछि। एहि क्रममे आगन्तुक अतिथि लोकनि द्वारा कविपति विद्यापतिक प्रतिमा पर माल्यार्पण एवं पुष्पांजलि अर्पित कयल गेल।

    मूर्तिक समक्ष विद्यापति द्वारा रचित गीत के गाबि मिथिलावासी महादेव के रिझौलन्हि। एहि अवसर पर पूर्व विधायक संजय बक्शी विद्यापति कें विश्वक प्रवर्तक बतौलनि। “मिथिला विकास परिषद”क अध्यक्ष अशोक झा बतौलनि जे विद्यापति के पाबिकs मिथिलावासीये नञि विश्व गौरवान्वित अछि। भारतक आजादीक पश्चात् देशमे पसरल सामाजिक कुरीति, बेमेल विवाह रोकबाक प्रक्रिया तथा पर्यावरणक समस्या समेत अनेकों मुद्दा पर भारतक विभिन्न सरकार द्वारा करोड़ों-अरबों टाका खर्च कयकें जागरूकता अभियान चलाओल जा रहल अछि मुदा भारते नहि बल्कि विश्वक विभिन्न देश मे पसरल कुरीतिक प्रतिवादमे विद्यापति अपन कविता एवं गीतक माध्यम सँ लोक कें सतर्क कs देने छलथिन। मैथिल के वरिष्ठ कवि लक्ष्मण झा ‘सागर’ बतौलन्हि जे उगना बनि स्वयं देवाधिदेव महादेव विद्यापतिक सेवा कयने छलाह ।

    “मिथिला विकास परिषद”क अध्यक्ष अशोक झा उपस्थित शिवभक्त कें कलश प्रदान कs कलश-यात्रा के बिदा कयलनि। गिरीश पार्क सँ प्रारंभ कलश-यात्रा भूतनाथ मंदिर स्थित देवाधिदेव महादेव के मूर्ति पर कलश-यात्रामे भाग लेनिहार श्रद्धालु द्वारा जलाभिषेक कयल गेल। विदित हो जे भूतनाथ मंदिरक पूर्व प्रधान पुजारी स्वo महिपाल ठाकुर जीक प्रेरणा सँ निकलल कलश-यात्रामे शामिल श्रद्धालुजन कें मंदिरक पुजारी पंo महेश ठाकुर एवं पंo रूद्रभूषण झा पूजा-अर्चना करौलनि। कलश-यात्रा गिरिश पार्क सँ प्रारंभ भs सेन्ट्रल एवेन्यु, मुक्ताराम बाबू स्ट्रीट, रविन्द्र सरणी, कालीकृष्ण टैगोर स्ट्रीट, यदुलाल पंडित रोड, पथुरियाघाट स्ट्रीट, महर्षि देवेन्द्र रोड होइत नीमतल्ला घाट स्ट्रीट स्थित भूतनाथ मंदिर पहुँचल । चारि किलोमीटरक ई बाट ऊँ नमः शिवायक मंत्रोच्चारण सँ भक्तिमय बनि चुकल छल।

    एहि अवसर पर “मिथिला महिला मंच”क अध्यक्ष शैल झा, आशा झा, गोपीकांत झा ‘मुन्ना’, राघवेन्द्र झा, पंo नन्दकुमार झा, संजय सोनकर, अंजय चौधरी, चन्द्रदीप झा, पवन ठाकुर, विष्णुदेव मिश्र, रमेशचन्द्र झा, अरूण झा, सुनैना झा, राकेश सिंह, श्रीमती सुरजीत सिंह, नबोनाथ झा, तेतरी म़डल, कौशल्या शर्मा, दुर्गादेवी झा, ममता झा, राजकुमारी झा, पूनम मिश्रा, शैल झा ‘सागर’, कविता झा, किरण प्रतिहस्त, विनोद झा, शंभू झा, हरिनारायण राय, मैथिली कवि आमोद झा, विनय भूषण, रधुनाथ चौधरी, विमल झा, वैदेही परिषद, कोन्नगर सँ अवनीश झा ‘भगवानजी’, शंभू झा, अशोक ठाकुर, लखनपति झा, विष्णु झा, प्रेमकला ठाकुर, बुच्ची देवी, प्रमोद कामत, बिन्नी देवी, कविता रानी आदि समेत तकरीबन १५०० महिला कलश-यात्रामे भाग लेलन्हि।

    कलश-यात्रामे “विद्यापति विद्या मंदिर एवं सनातन धर्म विद्यालयक छात्र कें हाथमे विद्यापतिक विभिन्न पदावली लिखित तख्थी कलश-यात्राक औचित्य पर प्रकाश डालैत छल। भूतनाथ मंदिरमे उपस्थित मैथिली ललना एवं महिला द्वारा विद्यापति रचित नचारी “कखन हरब दुख मोर हे भोलेनाथ” के प्रस्तुति सँ सम्पूर्ण मंदिर परिसर एवं ओहिठामक वातावरण शिवमय बनि गेल छल। मंदिर मे आरतीक पश्चात् उपस्थित श्रद्धालु कें प्रसाद प्रदान कयल गेल। सम्पूर्ण कार्यक्रमक संचालन हिन्दी, अंग्रेजी के विद्वान तथा मैथिली अनुरागी क्रमशः भाष्कर आनंद एवं अंजय चौधरी कयलनि। कार्यक्रमक समाप्तिक पश्चात् “मिथिला विकास परिषद”क कार्यकारी अध्यक्ष विनय कुमार प्रतिहस्त परिषदक राष्ट्रीय प्रवक्ता राजकुमार झा के बतौलनि जे “मिथिला वाकास परिषद” द्वारा मिथिला-महोत्सव कार्यक्रमक उद्घाटन २९ जनवरी, २०१७ कें “तारा सुन्दरी पार्क” मे आयोजित कयल जायत । विदित हो जे महाकवि विद्यापतिक अवसान तिथि के विषयमे एक पद प्रचलित अछि :

    “विद्यापतिक आयु अवसान,
    कार्तिक धवल त्रयोदशी जान”

    एहिके अनुसारे ई प्रमाणित भs गेल अछि जे बाबा विद्यापतिक मृत्यु कार्तिक धवल त्रयोदशी के भेल छलनि।

    (राजकुमार झा, राष्ट्रीय प्रवक्ता, मिथिला विकास परिषद, द्वारा मुम्बई सं पठाओल संवाद)