सातम वर्गक छात्राक संग अश्लील हरकत केलक हेडमास्टर

    0
    334

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कुढऩी थाना क्षेत्रक उत्क्रमित मध्य विद्यालय मोहनपुर बाड़ामे नामांकन करेबाक लेल गेल एकटा छात्राक संग हेडमास्टर द्वारा अश्‍लील हरकत करबाक घटना प्रकाशमे अछि। घटनाक बाद पूरा इलाका स्कूल पर टूटि पड़ल आ हेडमास्टरके मुंह पर कालिख पोति कए कपड़ा फारि देलक। अहिकेँ बाद लात-जूता सं मास्टरक जमिकए पीटाई कएल गेल। आक्रोशित भीड़क तामस पुलिस पर सेहो टूटि पड़ल।

    बताओल जा रहल अछि जे, शनिदिन एकटा छात्रा सातम वर्गमे नामांकन करेबाक लेल विद्यालय पहुंचल छल। हेडमास्टर शत्रुघ्न पासवान सं नामांकनक लेल पूछताछ केलक। हेडमास्टर छात्राकें अपन कार्यालय कक्षमे बजा कए अश्लील हरकत करए लागल।

    छात्रा कोनो तरहे भागि कए कानैत घर पहुंचल आ घटनाक जानकारी मांकें देलक। जाहिकेँ बाद स्थानीय लोक हेडमास्टर सं पहिने पूछताछ केलक बादमे अश्लील हरकतकें लेल बंधक बना कए पिटलक। घटनाक सूचना पर तुर्की ओपी प्रभारी शैलेश्वर प्रसाद पुलिस बलक संग विद्यालय पहुंचलाह। मुदा, भीड़ हेडमास्टरकें सौंपए सं मना कए देलक। भीड़क तामस पुलिस सेहो टूटि पड़ल। पुलिस बहुत मशक्कतकें बाद हेडमास्टरकें गिरफ्तार केलक।