रोड रेज आ जंगल राज पर तेजस्वी यादवक बयान

    0
    395

    दिल्ली-मिथिल मिररः लालू-राबड़ीक छोट बेटा आ बिहारक उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव बुधदिन बिहारक गयामे भेल रोड रेज कें घटना सहित बहुत रास विषय पर अपन वक्तव्य रखलनि। तेजस्वी कहला जे बिहारमे कोनो जंगल राज नहि अछि, जंगल राज त ओहिठाम अछि जाहिठाम पाकिस्तानक झंडा फहराओल जाइत अछि। गयामे भेल रोड रेजकें घटना पर बजैत तेजस्वी कहला जे बिहार सं बेसी रोड रेजक घटना दिल्लीमे होइत छैक।
    एतबे नहि भारतीय जनता पार्टी शासित राज्य मध्य प्रदेशक जिक्र उपमुख्यमंत्री कहला जे जाहिठाम व्यापम मे सैकड़ोंक संख्यामे लोकक जान चलि जाइत अछि ओ राज्यमे जौं जंगल राज नहि अछि त फेर बिहारमे जंगल राज कोनो भेल।
    एक दिस बिहारमे सुशासन, कुशासनमे परिवर्तित भेल जा रहल अछि, अपराधी सब आम जनता सं लय रसूख वला व्यक्तिकें सहज रूप सं माइर रहल अछि मुदा ओहि प्रदेशक उपमुख्यमंत्री एकटा संवेदनशील मुद्दा पर जौं राजनींितक लाभ लेवा सं नहि बचैत त फेर ओकरा की कहल जाए?