नेता प्रतिपक्ष प्रेम कुमार केलनि बाईढ़ प्रभावित क्षेत्रक दौरा

    0
    286

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विधानसभा मे नेता प्रतिपक्ष प्रेम कुमार सोमदिन धनरुआ प्रखंड के देवधा पंचायतक दर्जन भरि गामक दौरा कय बाढ़िक स्थिति के जायजा लेलनि। बताओल जा रहल अछि जे, स्थानीय इमलिया, देवधा, बीर, लीला टोला, बरभिघा, चकजिया सहित बहुतो गाम बिगत 6 दिन स बाढ़िक भयावह स्थिति सं जूझि रहल अछि।

    दर्जनों मकान भरि मकान ढहला सं लय क फसल बर्बादी तक के कारने स्थानीय ग्रामीणक स्थिति दयनीय बनल अछि। सूत्रक अनुसार बिगत 6 दिन मे दर्जन भरि लोक पानि मे डूबि कय मरि गेल अछि।

    ज्ञात हो कि प्रेम कुमार मामला के लय क सरकार स मुआवजा के माँग केलन्हि। संगहि ग्रामीणक खाद्यपदार्थ, दवाई, बच्चा के लेल दूध, मवेशी के लेल चारा के व्यवस्था नहि करबा के लेल अप्पन नाराजगी व्यक्त केलन्हि।